मिथिला क्षेत्रक मुख्य भाषा मैथिली छी आ ई भाषा बाजनिहार लोकसभकेँ मैथिल कहल जाइत अछि।[१] मिथिला नाम सामान्यतया विदेह साम्राज्यकेँ उल्लेख करवाक लेल प्रयोग कएल जाइत अछि आ सङ्गे आधुनिक-कालक क्षेत्रसभ सेहो विदहक प्राचीन सीमासभक भीतर अबैत अछि।[४]१८हम शताब्दीमे, जखन मिथिला क्षेत्रकेँ दड़िभङ्गा राजद्वारा शासित कएल गेल छल, ब्रिटिस राज एकरा एक रियासत राज्यक रूपमे पहचान नै दऽ ई क्षेत्रमे कब्जा कऽ लेनए छल।[५][
६] हिन्दू धार्मिक ग्रन्थसभमे सबसँ पहिने एकर उल्लेख रामायणमे भेटैत अछि। मिथिलाक उल्लेख महाभारत, रामायण, पुराण तथा जैन आ बौद्ध ग्रन्थसभमे सेहो अछि।[७][८][९]वर्तमान समयमे मिथिला भारतक बिहार राज्यक पश्चिम चम्पारण, पूर्वी चम्पारण , शिवहर, सीतामढ़ी, वैशाली, मुजफ्फरपुर, मधुबनी, दड़िभङ्गा, समस्तीपुर, बेगूसराय, मुङ्गेर, खगड़िया, सहरसा, मधेपुरा, सुपौल, पूर्णिया, अररिया, कटिहार, किशनगञ्ज, बाँका आ भागलपुर जिला छी तँ झारखण्ड राज्यक गोड्डा, देवघर, दुमका, साहिबगंज, जामताड़ा आ पाकुड़ जिला छी तहिना नेपालक नव निर्मित मधेश प्रदेश अन्तर्गत रहल सप्तरी, सिराहा, धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, रौतहट, बारा आ पर्सा जिला तथा कोशी प्रदेश अन्तर्गत रहल मोरङ आ सुनसरी जिला मिथिला क्षेत्र भितर अवैत अछि।[१][१०]
मिथिलासँ सम्बन्धित सभसँ महत्वपूर्ण स्रोत हिन्दू धार्मिक ग्रन्थ रामायणसँ मिलैत अछि जतय जनकपुरसँ मिथिला क्षेत्रपर शासन केनिहार राजा जनकक पुत्री आ रामक पत्नी सीताकेँ मिथिला क्षेत्रक राजकुमारी कहल गेल अछि। प्राचीन कालमे मिथिलाक अन्य प्रसिद्ध राजासभमे भानुमान्, शतध्युम्न, शुचि:, ऊर्जनम्, सतध्व्य, अञ्जन, अरिष्टनेमी, श्रुतायु, सृञ्जय, सुरमबी, अनेना, भौमरथ, सत्यरथ, उपगु, उपगुप्त, स्वागत, स्वानन्द, सुवर्चा, सुपाशर्व, सुभाष, सुश्रुत, जय, विजय, धृति, सुनय, वीतहव्य, ऋत, बहुलाश्व आ कृति छल।[१२][१३][१४][१५]
पौराणिक मान्यता आ किम्बदन्ती अनुसार जनक वंशक अन्तिम राजा खराब चरित्रक छल। ओ राजाकेँ आम जनतासभ आचार्यसभक नेतृत्वमे सत्ताच्युत केनए छल। ओकर बाद सयन वर्षधरि मिथिला बिना राजाक रहल। राजा नै भेलाक बाद एकटा लोकतान्त्रिक प्रक्रियाक विकास कएल गेल जतय शासक जनताद्वारा निर्वाचित कएल जाइत छल आ निर्णय आम सहमतिसँ कएल जाइत छल। तथ्य अनुसार मिथिला क्षेत्रकेँ विश्वक सभसँ पहिल प्रजातान्त्रिक मूल्य मान्यता माननिहार क्षेत्रक रूपमे देखल जेवाक चाही। ई शासन व्यवस्था कयन शताब्दीधरि कायम रहल जाबे धरि मगध साम्राज्य मिथिला क्षेत्रकेँ क्षति नै कऽ देलक।
ओकरबाद मिथिला क्षेत्रमे विभिन्न कालखण्डमे विभिन्न शासकवर्गद्वारा राज कएल गेल इतिहास अछि जहिमे वज्जि, लिच्छवी, सैषुनाग, नन्द, मौर्य, सुङ्ग, कान्त, गुप्ता, वर्द्धन अछि। मिथिला क्षेत्रपर जनक वंशक बाद ५अम शताब्दी सँ ६हम शताब्दीधरि कियो उल्लेखनीय शासक नै भऽ सकल।[१६] एकर बाद जयवर्द्धन राजा सलहेश मिथिलाक राजा भेल। ओ अपन राजधानी महिसौठ- सिराहा (वर्तमान समयमे नेपाल) कायम केलक। बहुतेक बेर ओ मिथिला क्षेत्रकेँ तिब्बती आक्रमणकारीसँ बचाव केनए छल जहिद्वारे हुनका जयवर्द्धनद्वारा शैलेश (हिमालयक राजा) कहल गेल जकरा स्थानीय बोलीमे सलहेश कहल जाई लागल।